शिक्षा मे कृत्रिम बुद्धिमत्ता(AI)क महत्व

 

शिक्षा मे कृत्रिम बुद्धिमत्ता(AI)क महत्व

 


वर्तमान युग वैज्ञानिक प्रगति आ तकनीकी नवाचारक युग अछि। एहि युग मे “कृत्रिम बुद्धिमत्ता” अथवा Artificial Intelligence (AI) एकटा एहन क्षेत्र बनि चुकल अछि जे मानव जीवनक प्रत्येक पक्ष केँ प्रभावित क’ रहल अछि। विशेष रूप सँ शिक्षा क्षेत्र मे एआई केर प्रवेश नव संभावना, नव दृष्टिकोण आ नव समस्यासभ केँ जन्म दऽ रहल अछि। शिक्षा व्यवस्थामे AI मात्र शिक्षक आ छात्रक बीच संवादक स्वरूपे टा नहि  बदलि रहल अछि, अपितु ई अध्ययन-अध्यापनक प्रक्रिया केँ सेहो बेसी  प्रभावशाली, व्यक्तिगत आ समावेशी बना रहल अछि। शिक्षा मे एआई केर उपयोग धीरे-धीरे व्यापक रूप सँ बढ़ि रहल अछि। ई केवल एकटा टूल नहि अछि, अपितु शिक्षण पद्धति केँ समग्र रूप सँ परिवर्तित करयवला ताकत अछि। डिजिटल कक्षा, अडैप्टिव लर्निंग, भाषा अनुवाद, परीक्षा मूल्यांकन, वर्चुअल ट्यूटर आदि एआई आधारित प्रणाली सँ शिक्षाक दुनिया बदलि रहल अछि।

AI केर संकल्पना

कृत्रिम बुद्धिमत्ता एकटा एहेन तकनीक अछि जकर माध्यम सँ कंप्यूटर सिस्टम वा मशीन मानव-जकाँ सोचय, सीखय, निर्णय लेबय आ समस्याक समाधान करय मे सक्षम बनैत अछि। ई डेटा, एल्गोरिदम आ मशीन लर्निंग पर आधारित होइत अछि। AI आई केवल रोबोटिक्स या औद्योगिक क्षेत्र तक सीमित नहि, बल्कि शिक्षा, स्वास्थ्य, कृषि, सुरक्षा, आ संचार सहित अनेक क्षेत्र मे अपन उपयोगिता प्रमाणित क' चुकल अछि।

शिक्षामे AIक उपयोग

1. व्यक्तिगत शिक्षण (Personalized Learning)

AI आधारित प्लेटफॉर्म छात्रक अधिगम शैली, गति आ समझक स्तर केँ विश्लेषण क' ओकर अनुसार शिक्षण सामग्री उपलब्ध करबैत अछि। ई प्रणाली adaptive learning कहबैत अछि, जाहि मे अलग-अलग छात्र लेल भिन्न-भिन्न पाठ योजना तैयार कएल जाइत अछि। उदाहरण स्वरूप, Khan Academy, Duolingo, Coursera जेकाँ प्लेटफॉर्म AI के प्रयोग सँ छात्र के व्यक्तिगत स्तर पर मददकरैत अछि।

2. बुद्धिमान ट्यूटर (Intelligent Tutoring Systems)

AI आधारित ट्यूटर छात्र के 24X7  सहायता प्रदानकरैत अछि। ई छात्रक संदेह केँ दूर करैत अछि, उदाहरण दैत अछि, आ व्याख्या सेहो करैत अछि। जाहि मे Socratic by Google IBM Watson Tutor प्रमुख अछि।

3. स्वचालित मूल्यांकन (Automated Assessment)

AI आधारित सॉफ्टवेयर निबंध, बहुविकल्पीय प्रश्न, आ लघुउत्तरीय प्रश्न के त्वरित मूल्यांकन करय मे सक्षम अछि। ई शिक्षकक समय बचबैत अछि आ निष्पक्ष मूल्यांकनक अवसर प्रदानकरैत अछि। उदाहरण: Gradescope, Turnitin आदि।

4. विशेष आवश्यकता बला छात्रक सहयोग

AI दृष्टिहीन, श्रवण बाधित आ सीखबा मे कठिनाई झेलय बला छात्रक लेल वैकल्पिक माध्यम विकसित करैत अछि—जाहिमे पाठ केँ सुनब, भाषाक अनुवाद, ऑटो-टाइपिंग इत्यादि शामिल अछि।

5. प्रशासनिक कार्य मे सहायता

AI आधारित सिस्टम स्कूल/कॉलेजक प्रशासनिक कार्य जेना छात्र उपस्थिति, फीस प्रबंधन, टाइम टेबल बनायब, रिपोर्ट तैयार करब आदि कार्य केँ आसान बनबैत अछि।

AI द्वारा शिक्षण विधि मे बदलाव

1.       रटंत पढ़ाई सँ हटि क' सोच आधारित शिक्षण :- AI छात्र केँ सोचय, विश्लेषण करय आ समस्या समाधान करय लेल प्रोत्साहित करैत अछि। ई परंपरागत रटंत पद्धति केँ बदलि रहल अछि।

2.       Project-Based Learningक बढ़ावा :- AI आधारित सिमुलेशन टूल्स आ रियल-टाइम एनालिटिक्स प्रोजेक्ट आधारित अधिगमक नींव मजबूतकरैत अछि।

3.       सहयोगात्मक अधिगम (Collaborative Learning) :- AI आधारित प्लेटफॉर्म समूह कार्य, संवादात्मक मंच, आ सहयोगपूर्ण शैक्षणिक वातावरण निर्माण करैत अछि।

शिक्षकक भूमिका मे बदलाव

कृत्रिम बुद्धिमत्ता शिक्षाक क्षेत्र मे शिक्षकक महत्व केँ कम नहि करैत अछि, बल्कि हुनकर भूमिका केँ नव रूप दैत अछि।

·         शिक्षक आब खाली ज्ञान देनिहार नहि, बल्कि सुविचारक, मार्गदर्शक आ नवाचारक उत्प्रेरक बनि रहल छथि।

·         शिक्षक AI टूल्सक मदद सँ छात्रक विकासक ट्रैकिंग कय सकैत छथि।

·         ओ अपन पाठ योजना मे AI आधारित रणनीति समावेश क’ शिक्षण केँ अधिक प्रभावी बना सकैत छथि।

AI आधारित प्रमुख उपकरण आ ऐप

            Duolingo केर माध्यम सँ भाषा सीखब सहज आ रोचक भ' गेल अछि, जखनकि Google Scholar शोध-पत्र आ शैक्षणिक सामग्री खोजय लेल एकटा उपयोगी स्रोत अछि। Smart Sparrow जकाँ टूल व्यक्तिगत आवश्यकतानुसार पाठ्य सामग्री दैत अछि। Otter.ai Fireflies.ai आवाज केँ पाठ्य रूप मे बदलि कऽ बैसार आ कक्षा केर सार तैयार करय मे मदद करैत अछि। ChatGPT विचार स्पष्ट करय, प्रश्नक उत्तर देबय आ रचनात्मक लेखन मे सहायक अछि, तेँ QuillBot वाक्य केँ नव रूप देबाक काज करैत अछि। Quizlet फ्लैशकार्ड आ क्विज द्वारा स्मृति शक्ति बढ़बैत अछि, जखनकि Cognii विद्यार्थीक उत्तर केँ जांचि कऽ उपयोगी प्रतिक्रिया दैत अछि। Grammarly व्याकरण आ लेखन सुधार करैत अछि आ summarize.tech लंबा वीडियो वा भाषण केर संक्षेप प्रस्तुत करैत अछि। ई सभ टूल शिक्षा केँ बेसी प्रभावकारी, समावेशी आ तकनीकी-समृद्ध बनेबा मे योगदान दैत अछि।

AIक लाभ

1.  सब लेल सुलभ शिक्षादूरदराजक इलाका मे सेहो गुणवत्तापूर्ण शिक्षा सुलभ बनबैत अछि।

2.  समय आ संसाधनक बचतस्वचालन सँ शिक्षक आ छात्र दुनूक समय बचैत अछि।

3.     वास्तविक समय प्रतिक्रियाछात्रक गलती तुरंत पकड़ि ओकरा सुधार करबाक अवसर।

4.   शिक्षा मे नवाचारक प्रवाहपरंपरागत पद्धति मे नव प्रयोगक अवसर।

5.       समावेशी शिक्षा प्रणालीविशेष आवश्यकता वाला छात्र लेल अनुकूल वातावरण।

AIक चुनौती आ सावधानी

1.       गोपनीयताक खतराछात्रक डेटाक दुरुपयोग संभव अछि, उचित सुरक्षा जरूरी।

2.       डिजिटल डिवाइडतकनीकक पहुँच सब तक नहि अछि, खास क' ग्रामीण क्षेत्र मे।

3.       शिक्षकक तकनीकी प्रशिक्षणक आवश्यकताशिक्षक केँ AI आधारित टूल्स सँ अवगत करेनाइ जरूरी।

4.       निर्भरता बढ़ब – AI पर अत्यधिक निर्भरता छात्रक स्वतंत्र सोच पर असरकरि सकैत अछि।

भारत आ वैश्विक परिदृश्य

भारत मे राष्ट्रीय शिक्षा नीति 2020 AIक समावेशक दिशा मे महत्वपूर्ण प्रयास करैत अछि। नीति मे डिजिटल लर्निंग, AI आधारित शिक्षण आ स्किल डेवलपमेंटक स्पष्ट उल्लेख अछि। भारत सरकार द्वारा Responsible AI for Youth कार्यक्रम, AI for All, DIKSHA सदृश पोर्टल एहि दिशा मे उल्लेखनीय अछि। विश्व स्तर पर, अमेरिका, चीन, यूरोप आदि देश शिक्षा मे AIक उपयोग केँ आगाँ बढा चुकल छथि। UNESCO सेहो AIक नैतिक उपयोग हेतु दिशा-निर्देश जारी केलक अछि। आगामी वर्ष मे शिक्षा AI आधारित अधिक गतिशील, अनुकूल आ समावेशी होयत। छात्र केँ विद्यालय भवन तक सीमित नहि राखि, एकटा वर्चुअल संसारमे प्रवेश भेटत, जतय ओ अपन रुचि, गति आ स्तरक अनुरूप सीख सकत।

भावी विकास क्षेत्र:

·         AI + AR/VR आधारित इंटरैक्टिव शिक्षण

·         AI आधारित कैरियर मार्गदर्शन प्रणाली

·         स्थानीय भाषा आधारित AI शिक्षा सहायक

·         AI द्वारा शिक्षा नीति निर्माण मे डेटा विश्लेषण

निष्कर्ष

शिक्षा मे कृत्रिम बुद्धिमत्ताक समावेश केवल नव तकनीकक प्रयोग नहि, बल्कि शिक्षण-अधिगम प्रक्रिया मे एकटा क्रांतिकारी बदलाव अछि। ई शिक्षक, छात्र आ समाज तीनू लेल संभावनाक नव द्वार खोलैत अछि। हालाँकि एहि संग तकनीकी, नैतिक आ सामाजिक दृष्टिकोण सँ सतर्कता जरूरी अछि। यदि AIक उपयोग विवेकपूर्ण ढंग सँ कयल जाए, तऽ समतामूलक, सुलभ आ गुणवत्तापूर्ण शिक्षाक लक्ष्य सहजहि प्राप्त कयल जा सकैत अछि।


रवि रौशन कुमार

शिक्षक

राजकीय मध्य विद्यालय माधोपट्टी, केवटी (दरभंगा)

इमेल : info.raviraushan@gmail.com

***

Comments

Popular posts from this blog

बच्चों के संज्ञानात्मक विकास में जन-संचार माध्यमों की भूमिका

प्लास्टिक वरदान या अभिशाप

पर्यावरण अध्ययन के प्रति जन चेतना की आवश्यकता